🔗 ⚙️

Osak Bunn from Osak Bunn by Tripurari, Arunita Jha

Tracklist
1.Tripurari, Arunita Jha - Osak Bunn3:38
Lyrics

जखन ई आँखि सँ ओसक बुन्न टपकै छै
न जानि मोन किएक मोने-मोन टमकै छै

राति भरि
निन्नक कोरा मे सूतल रहलै संसार
आ अहाँक पलक पर
किछु ओसक बुन्न
जागैत रहलै
कतहु दूर बैसल हम
बहैत लोरक नदी सँ
सुंदर क्षण छानैत रहलियै
अहाँक ठोरक स्पर्श
एकटा गमगमाइत शब्द जकाँ
सोचक सतह पर हेलए लागलै
जेना चूमैत रहै छै अक्षरक नुक़्ता
मोनक नदी भरऽ लागलै
डूबि जाइ केँ अनुभूति सँ
घबराएल चान
अकास सँ नीचा ने उतरलै

अहाँ कें सोचि क’ हम भूलि जाइ छियै स्वयं कें
इजोरिया राति जकाँ देह-चान चहकै छै

सूखऽ लागलै जखन साँसक गाछ
समयक चाल भ गेलै किछु मध्यम
एकाएक एकटा क्षण केँ नींद खुलि गेलै
हम देखलियै कि भोर जागि गेल छै
कतहु किछु नै बदललै
सभ चुप छै अखिन धरि
मुदा हम जानै छियै कि राति भरि
निन्नक कोरा में सूतल रहलै संसार
आ अहाँक पलक पर
किछु ओसक बुन्न
जागैत रहलै

अहाँ कें ध्यान मे जे डूबि जाइ छियै कखनो
कहौं इ गप कोना पोर-पोर गमकै छै

Credits
from Osak Bunn, track released November 12, 2021
Performed by: Tripurari and Arunita Jha
Composed by: Anudutt MS
Lyrics by: Tripurari
Mixed and Mastered by: Anudutt MS
Cover art by: Aryan Sharma
LicenseAll rights reserved.
Tags
Recommendations